विकिपिडिया सब विषयसभ कऽ प्रामाणिक आर उपयोग, परिवर्तन आ पुनर्वितरणके लेल स्वतन्त्र विश्वकोश बनेवाक एक बहुभाषिक प्रकल्प अछि । ई यथासम्भव निष्पक्ष दृष्टिकोण भेल सूचना प्रसारित करए लेल दृढ संकल्पित अछि । सर्वप्रथम विकिपिडिया अंग्रेजी१५ जनवरी, २००१ मे आरम्भ कएल गेल, जखन कि मैथिलीमे मैथिली विकिपिडियाकऽ प्रारम्भ २०१४ नवम्बरमे भेल आ अखन धरि ढेर-रास लेखपर कार्य कएल जा रहल अछि । सहायता पृष्ठ मे जा के आर प्रयोगस्थल मे प्रयोग कएरके देखु कि अहाँ अपना सँ कोन लेख परिवर्तित कऽ सकएत छी ।
जानकी मन्दिर पवित्र हिन्दू धर्मस्थल छी । जानकी अर्थात् सीताक इ मन्दिर वोकर जन्मस्थल जनकपुरमें अवस्थित अछि । इ मन्दिरकें मुगल शैलीमें बनाएल गेल अछि । नेपालक ख्यातीप्राप्त एहि मन्दिरके कलाक उत्कृष्ट नमुना मानल गेल अछि । प्राचिन मिथिलाक राजधानी जनकपुरमें अवस्थित जानकी मन्दिर विश्वभरिक हिन्दुक आस्थाक केन्द्र छी । हिन्दु धर्ममें लोकप्रिय रहल रामायणक सीताक जन्मस्थलमें निर्मित इ मन्दिर भव्य आ आकर्षक अछि । भारत मध्यप्रदेशस्थित टिकमगढक राजकुमारी वृषभानु कुँवरीद्वारा ९ लाख चाँदीक असर्फी खर्च कए निर्माण करावोल गेल मन्दिर रहलाक कारण एकरा नौलखा मन्दिर सेहो कहल जाएत अछि | (पूरा लेख...)
१५५ यात्रु आ ७ विमान कर्मचारी सहित इण्डोनेशिया एयर एसिया विमान ८५०१ इन्डोनेसिया कें सुरबयासँ सिंगापुर जाएत काल दुर्घटनाग्रस्त भेल अछि ।
मिथिला राज्य आ मैथिली भाषाकें सुनिश्चितताक मांग करैत मैथिली साहित्य परिषद् राजविराज द्वारा प्रमुख जिल्ला अधिकारी मार्फत प्रधानमन्त्रीसहित सम्बन्धित निकायकें बीतल बृहस्पतिदिन ज्ञापनपत्र पठाओल गेल ।
मैथिली विकिपिडिया संसारक विकिसभके सूचीमे ६०७ लेखके सँग २४८ वा स्थानमे पहुँचल अछि ।